मैथिल समाज रहिका द्वारा आयोजित मिथिला विभूति स्मृति पर्व सह स्वर्ण जयंती समारोहक प्रथम दिन बाबा विद्यापति टावर पर अवस्थिति विश्व प्रसिद्ध कवि विद्यापति मूर्ति पर मधुबनीक लोकप्रिय यशस्वी जिलाधिकारी श्री अरबिन्द कुमार बर्मा जी संस्कृति विश्वविद्यालय के प्रसिद्ध विद्वान आदरणीय डॉ शशिनाथ झा जी, पूर्वमंत्री आदरणीय श्री कृपानाथ पाठक जी, पूर्वमंत्री माननीय श्री राम लखन राम रमन जी, मैथिली सेनानी डॉ बैद्यनाथ चौधरी बैजू जी, समाजसेवी श्री अरुण राय जी, बरिष्ट अधिवक्ता श्री संजय कुमार मिश्र, पूर्व जिला परिषद अध्यक्ष श्री सतीश चंद्र मिश्र जी दीप प्रज्वलित काय उदघाटन कयलन्हि एवं अन्य जनप्रतिनिधिगण उपस्थित छलाह।
मैथिली सेनानी स्व चुन चुन मिश्र जीक मूर्ति पर माल्यार्पण उपरांत विधवत विद्यापति मैदान स्थिति विशाल मंच पर दीप प्रज्वलित काय उदघाट्न भेल आ भगवतीक बंदना सुप्रसिद्ध गायक श्री राजनीति रंजन जी, स्वागत गीत एहि मंचक प्रसिद्ध गायिका श्रीमती पुष्पा जी प्रस्तुत कैली स्वागत भाषण संस्थाक सचिवक हैसियत सँ स्वंय कयलहुँ ,तदुपरांत मिथिलाक विभूति केँ श्रंद्धाजलि देल गेल।
कार्यक्रम के अध्यक्षता संस्थाक अध्यक्ष पूर्व विधानपार्षद श्री सुमन कुमार महासेठ जी कयलन्हि।
आब सांस्कृतिक कार्यक्रम में 4 दर्जन सँ अधिक गायक, गायिका एवं नाटकक कलाकार लोकनि अपन अपन प्रस्तुति देताह। जय मिथिला, जय मैथिली।